१) सोनाके हौसली रुपाके थाल बैठक देल सिङ्गासन पाट – १ (अच्छत देयाके)
२) शक्ति शक्ति पैर गैल राइ है, शक्ति तो छट्टे चल आइ हे शक्ति तोहर पैरपखाल तव भगतिया पुच्छे बात कहमा से हम चैल ऐलो कहमा के नैय जाई, इन्द्र भुवन से हम चैल ऐलो मृत भुवन मे देलो पाउँ, कहमा राखदे डलवा, पतवा कहमा पुजम पाउँ पाउँ, चकरे राखव डलवा, पतुवा पृथ्वी पुजव पाउँ सिरविर पाट चनन के गाछ चनन रगरे शक्तिके हात शक्ति मे पुजे हे देवा तोरे सेवा दोहाइ कालिका माता की – २