फोकरा

लाल बहादुर चौधरी
कथि चियै ???
१. चाईर गाछ चाइर ठिमा, फूल झरे एके ठीमा ?
२. उँच गाईके चूच नै, वियाबे त पियाबे नै ?
३. मुर्दाके चाईर टाङ्ग, बोकै बालाके टाङ्गे नै, देखे वालाके मुर नै ?
४. फूल फुले गुलाबके बीच दहमे जाई, एहन फूल कैहयो नै देखल फूल लतीके खाई ?
५. आँईख चले भूम चले, चले पवन पानी चारो कोण पृथ्वी चले, चले दनु प्राणी ?
६. लगे लैहरा लगे सौसरा; आ वै त जाईत गाईर थौथरा ?
७. सात सखी सोईजनके गाछ; एक सखिके विन पताके गाछ ?
८. यै बोन गेलियै, वोई बोन गेलियै, गेलियै बोनके ओर; येहेन काठ काटलियै पाँजरमें ठोर ?
९. कनकि छौरीके भोईर देह फौसरी ?
९. एक हाथे लारचार एक हाथे कोंच; काम किरिया भ्यागेलै चे थरा ल्याके पोंछ ?
उत्तर : १. दूध दुहनाई २. केराके गाछ ३. बेङ्ग, सांप आ काँखोर ४. चिरखा लोहाजन ८. कौल्ह ९. करैला १०. खोदहा लेनाई
भेदभाव कथिले ?

रामेश्वरी देवी चौधरी
एके कोखीके सन्तान उपर किये करेछे भेदभाव हो -२
बेटा जे जनमल मारी खेलक खसी
बेटी जनमल खेलक फरसी - २
बेटाके पठावल बोर्डिङ स्कुल
बेटीके पठावेछै जेनरल स्कूल - २
बेटाके पढावे आइ.ए. बी.ए.पास बेटीके
पठावैछै जरना घांस - २
बेटा जे जाइछै टि.भी. सिनेमा
तुहुं बेटी कर घर अंगिना-२
बेटा जे होटलमे खाइछो बीयर रोष्ट
तुहुं बेटी खो बासी भात -२
पैतृक सम्पतिमे समान अधिकार
बेटा बनल हकदार -२
तोहे बेटी जइब पर घर
हेतौ मोटरियाके आस - २
नही. कानु नहीं खिजु नही. करु रोदन
एक दिन जरुर हेतै समाधान - २
हमहूं जे करवेमे आइ.ए.बी.ए.पास
करबे मे शोषणके नाश -२
करवै मे हम आधृिक विवास
ताव हेते नेपालके विवास - २
एके कोखीके